top of page

नेट-निरपेक्षता औ मिथिला पऽ प्रभाव

अखन सब जगह सब गोटेक इंटरनेट पऽ समान पहुच उपलब्ध करवैक लेल वाद-विवाद छिड़ल अछि जेक्करा नेट-निरपेक्षता कऽ नाम देल गेल अछि आउ बुझी ई नेट-निरपेक्षता की होये छैक औ एककर आम उपभोक्ता पऽ की प्रभाव हेतै ? नेट निरपेक्षता मऽ सब तरह कऽ इंटरनेट ट्रैफिक कऽ संग समान बर्ताव कैल जैत अछि औ कोनो लोग या कंपनी कऽ खाली भुगतान क नाम पऽ प्राथमिकता नै देल जा सकै छै

अय तरह के कोनो वयवस्था जहि मऽ उपभोक्ता स इंटरनेटक सामान्य भुगतान के अलावौ आन भुगतान लै जाय पऽ पक्षतापूर्ण मानल जैत संजाल (इंटरनेट) पऽ जखन अहाँ किछु ताकै (सर्च) छियै तह ढेर रास वेबसाइट सब खुलैत अछि , जैसौ अहाँ वृहित जानकारी सब हासिल करै छि , मुद्दा अगर येहा वेबसाइट सब नै खुजै तह अहाँ बहुत रास महत्वपूर्ण जानकारी सबसौ वंचित रैह सकै छि या एक्करा लेल अहाँके इंटरनेट सेवा प्रदाता कंपनी कऽ अलग सौ भुगतान कऽ रऽ पड़त येहा परिस्थिति ‘नेट न्यूट्रैलिटी’ कऽ भंग करैत अछि


उदाहरण स्वरूप : जेना अहाँ एयरटेलक उपभोक्ता छि औ 3जी सर्विसक 298 टका कऽ डेटा पैक उपयोग कऽ रहल छि , अहि पैक मऽ अहाँके 1जीबीक डेटा नेट पऽ समान अधिकार अछि औ संगे 150-150 एमबी FB औ WHATSAPP कऽ लेल देल गेल अछि , मुद्दा अहि इंटरनेटक 1जीबी डेटाक पैक 255 टका कऽ सेहो उपलब्ध अछि , सम्झ्वैक मतलब ई अछि जे अहाँ सौ 43 टका अतिरिक्त खाली FB औ WHATSAPP कऽ लेल जा रहल अछि


आन उदाहरणक देखल जाये तह जेना की अहाँ कऽ एकटा मोबाइल ऑनलाइन खरीद्वाक अछि जेक्कर मूल्य AMAZON इंडियाक वेबसाइट पऽ 5000 छै औ अहि मोबाइलक मूल्य फिल्पकार्ट पऽ 4500 छै मुद्दा नेट-निरपेक्षता हटै पऽ जे अहाँक नेट सर्विस प्रदानकर्ता अछि तेक्कर करार खाली इंडिया सौ छै , से अहाँके ओक्कर वेबसाइटक गति फिल्पकार्ट वेबसाइटक तुलना मऽ बेसी देत औ संभवतः फ्लिपकार्ट कऽ वेबसाइट खुजवौ नै करत तखन अहाँक मजबूरी या दुखित भऽक्ऽ इंडिया सौ मोबाइल 500 टका बेसी मऽ खरीद पड़त


नेट-निरपेक्षता कऽ अर्थ
  1. इंटरनेट पऽ उपलब्ध सबटा साइट सब पऽ सबक़ समान पहुच औ अधिकार हेबाक चाही,

  2. हरेक वेबसाइट एक किलोबाइट या मेगाबाइट कऽ लेल शुल्कक दर बराबर रहै, कोनो विशेष वेबसाईटक गति (स्पीड) बेसी या कम नै हुवै ,

  3. कोनो तरह क विशेष गेटवे, जेना- एयरटेल वन टच इंटरनेट, डेटा वैल्यू एडेड सर्विसेज, इंटरनेट डॉट ओआरजी औ आन सब नै हुवै ,

  4. कोनो वेबसाइट ‘जीरो रेटिंग’ नैइ हुवै या किछु वेबसाइट सबक़ दोसर वेबसाइटक तुलना मऽ मुफ्त या अतिरिक्त शुल्क नै हेवाक चाही ,

  5. सबटा वेबसाइट्स औ एप्प कऽ समान अधिकार क वयस्था हो ,

  6. हर एक ता उपभोक्ता कोनो तरह कऽ वेब-बेस्ड सर्विस तक पहुंच बनल रहै ,

  7. कोनो तरह के वेबसाइट या एप्प ब्लॉक नै रहै,

  8. सब तरहक वेबसाइट कऽ देखै कऽ लेल एक समान गति (स्पीड) रहै

नेट-निरपेक्षता खत्म भेल तह
  1. आन-आन वेबसाइटक लेल आन-आन गति (स्पीड) भेटत्

  2. टेलीकॉम कंपनी सौं जुड़ल एप्प औ वेबसाईटे ता मुफ्त भेटत्,

  3. जे एप्प, वेबसाइट क संग टेलीकॉम कंपनी क करार नै अछि ओये सब पऽ अतिरिक्त शुल्क लागत

नेट-निरपेक्षता के मैथिल औ मिथिला पऽ प्रभाव

मानव सभ्यता केर इतिहास कऽ तीन ता चीज मुख्यतः बदैल कऽ रैख देल्कै -आगि , चक्का (पहिया) औ इंटरनेट. अय मऽ इंटरनेट क सबसौ बेसी क्रांतिकारी असर सम्पूर्ण दुनिया पऽ भेल, जे अय दुनिया औ दुनिया कऽ देखैक नजरियैई सबक बदैल कऽ रैख देल्कै विगत किछु साल सौ मिथिला मऽ कंप्यूटर, मोबाइल औ इंटरनेटक उपयोग बढ़ल हँ मिथिलाक्षेत्र मऽ ज़िला स्तर सौ लऽ कऽ पंचायत स्तर तक सेहो कंप्यूटर पऽ काज भेनै शुरु भऽ गेल अछि औ एक्कर प्रभाव आम जन-मानस पऽ सेहो परि रहल अछि जेना की समुचित सरकारी संगे सामाजिक जानकारी प्राप्त केनै खासकर युवा वर्ग सब इंटरनेटक प्रयोग देश-विदेशक़ जानकारी प्राप्त करैक संगे पठन-पाठन कार्य मे सेहो कऽ रहल छैथ प्रमुख टेलिकॉम कंपनी सब पहिने सौ अहि क्षेत्र म बात-चित (कॉलिंग) आऔ संदेश (मेसेजिंग) सर्विस कऽ आन राज्यक औ क्षेत्रक तुलना मऽ बेसी शुल्क वसूल रहल छै और सर्वीसो समुचित नै प्रदान कऽ रहल छै ( नेटवर्क सिग्नल जेनै, टैरिफ सौ बेसी पाय कटनैइ औ आन चीज ), औ अहि क्रम मऽ जे नेट-निरपेक्षता अगर लागू कैल गेल तह किछु हद तक ई मिथिलाक तकनीकी विकास कऽ प्रभाव करत

अगर अहाँ नेट-निरपेक्षता कऽ पक्ष मऽ छि तह अहि संदेश-लिंक (मेल) “advqos@trai.gov.in” पऽ अप्पन पक्षक संदेश TRAI कऽ भेज सकै छि

मिथिला औ मैथिल जन के विकास मे संचार तकनीक कऽ मतवपूर्ण स्थान अछि औ एककर उपयोग वास्तविक औ समान रूप सौं हेवाक चाही तह आउ सबगोटे “नेट-नीरपेक्षता” कऽ पक्ष म ठार होवै छि औ अहि तरह के अवरोध के दूर कैर मिथिला कऽ विकास मऽ सहभागी बनी


अहि ब्लॉगपोस्ट मे आई बस एतबा । बीइंग मैथिल के ब्लॉगपोस्ट्स सब अगर अहाँ सबके नीक लागे यऽ तह आग्रह जे बेसी से बेसी ब्लॉग्स सबके लाईक आर साझा करू संगहि बीइंग मैथिल के फॉलो करनाई नहि बिसरब।


धन्यवाद!!

टीम #BeingMaithil

141 views0 comments

Related Posts

See All
© 2023 By BeingMaithil
bottom of page